किसान
किसान, एकटा एहन व्यक्ति छी, जे खेतीकें काजसभमे लागल रहैत अछि, ओ भोजन या कच्चा माल केर लेल जीव-जन्तुक पालन-पोषण करैत अछि [१]| ई शब्द साधारण रुपसँ ओ लोकसभ पर लागु होईत छै, जे खेतीकें बाली, फलकें फुलबारि, अंगुरक बारी, मुर्गी पालन या अन्य पशुधन कें कुनु संयोजन करैत छै। किसान खेतकें जमीनक मालिक भऽ सकैत अछि या दोसरकें जमीन पर मजदूरक रुपमे काज कऽ सकैत अछि। अधिकांश विकसित अर्थव्यवस्थामे "किसान" मात्र खेतक मालिक (जमीन मालिक) होइत अछि, जखन कि खेतक कर्मचारी खेतकें मजदूरक रूपमे जानल जाइत अछि | मुदा, अन्य पुरान परिभाषामे किसान ओ व्यक्ति छल जे छोट-छोट गाछ, जमीन या बालीकें बढेबाक या सुधार करैत अछि या श्रम आ देखभालसँ पशुसभ (पशुधन या माछकें रूपमे) पालनपोषण करैत अछि|
![](http://chped.net/https/upload.wikimedia.org/wikipedia/commons/thumb/2/23/Villager_of_Surauli_Buzurg.jpg/220px-Villager_of_Surauli_Buzurg.jpg)
प्रकार[सम्पादन करी]
![](http://chped.net/https/upload.wikimedia.org/wikipedia/commons/thumb/8/8e/Gianyar-Regency_Bali_Indonesia_A-rice-farmer-working-in-his-paddy-01.jpg/220px-Gianyar-Regency_Bali_Indonesia_A-rice-farmer-working-in-his-paddy-01.jpg)
किछ देशमे एहि शब्दक प्रयोग सामान्यतः पशुपालन आ ओकर पालनपोषणक लेल होइत अछि, जाहिमे बरद, बकरी, घोड़ा आदि सम्मिलित अछि | अमेरिकामे एकरा लेली र्यान्चर्स शब्दके प्रयोग कएल जाईत छै, आ अस्ट्रेलिया आ संयुक्त अधिराज्यमे ग्रेजिएर्स शब्द लोकप्रिय छै। दूध उत्पादनमे लागल लोककेँ सेहो एहि देशमे किसान सेहो कहल जाईत छैके | एकर सँग-सँगे जे मुर्गामुर्गी, बतक, हंस आदि पोषण करैत छथि आ ओहिमे सँ मासु, अण्डा आ पंखी सेहो उत्पन्न करैत छथि, हुनकासभकें सेहो किसान मानल जाइत छनि |
किछ विकसित देशमे किसान शब्दकें उपयोग कुनु व्यवसायी या पेसागतकें वर्णन करबाक लेल कएल जाईत छै, जे जमीनकें मालिक रहैत छै आ बाली उगाबमे रुचि रखैत छै, मुदा ओकरा या केकरो दोसरकें लेल काज करबाक लेल लोक कें सेहो रोजगार दैत छै, ओ काज पूरा करै छै |
व्यवसायिक खतरा आ कीटनाशक केर खतरा[सम्पादन करी]
ट्रयाक्टर आधुनिक खेती के प्रतीक बनि गेल अछि। खेती-बारीसभ काजमे बहुतरास खतरा होइत छैक। एहिमे खेती करऽ बला किसानके खेतमे अनेकौं खतरनाक पशुसभक सामना करै पडैत छनि, खेतमे काज करैत काल बिच्छ, चुटी, मधुमाछी आदिक काटबाक बड पैघ खतरा रहैत अछि। किसान अनेकौं बहुत भारी आ पैघ उपकरणसभसँ काज करऽ पडैत अछि, जाहिसँ चोट आ मृत्युकें खतरा सेहो रहैत अछि।
![](http://chped.net/https/upload.wikimedia.org/wikipedia/commons/thumb/e/e8/Rice_fields_near_Darbhanga%2C_Bihar_8.jpg/350px-Rice_fields_near_Darbhanga%2C_Bihar_8.jpg)
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ Live, ABP (23 December 2022)। "क्या आप जानते हैं सरकार के हिसाब से कौन होता है 'किसान'?....पूरी करनी होती हैं ये शर्तें"। hindi (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 21 October 2023।